शनिवार, 18 जून 2022

मालविका राज मिथिला पेंटिंग कलाकार

Mithila Painting Artist Malvika Raj 

मालविका राज के जन्म 18 सितंबर 1990 समस्तीपुर के दलित परिवार मे भेलनि। निफ्ट मोहाली सं स्नातक क चुकली मालविका राज फैशन डिजाइनर सेहो छथि। पहिले मालविका राज दिल्ली मे फैशन डिजाइनर के तौर पर काज करय छलीह मुदा बाद कुनो कारणक सं ओ पटना आबि गेलीह। एतय ओ कलाकार अशोक विश्वास के द्वारा मिथिला कला मे प्रशिक्षण लेलीह।

कतेको प्रमुख प्रदर्शनि मे सेहो हुनक कलाक प्रदर्शन भ चूकल छनि। हुनकर एकटा पेंटिंग बाबासाहेब अंबेडकर के मिथिला प्रस्तुति एडिनबर्ग विश्वविद्यालय मे प्रदर्शित भ चुकल छनि। मालविका राज बुद्ध के समयक लोकगीत के चित्रित क के एहि शैली मे सालो सं चली आबि रहल पारंपरिक प्रथा मे विशेष रूप सं बदलाव अनबाक काज केलनि।

मालविका राजक कला के भारत मे जहांगीर आर्ट गैलरी, मुंबई आ भारतीय सांस्कृतिक संबंध परिषद आ दिल्ली मे ललित कला अकादमी मे प्रदर्शित कैल गेल अछि। सावित्रीबाई फुले पर आधारित एकटा किताब “सावित्रीबाई और मैं”, संगीता मुले द्वारा लिखित एकटा पुस्तक के चित्रण सेहो केलनि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !