मंगलवार, 9 फ़रवरी 2016

मिथिला के बेटा बनलैथ विश्व बैंक के वरिष्ठ निदेशक

मिथिला धरोहर, सहरसा : मिथिलाक माट्टी अपन प्रतिभा के लोहा दुनिया भरी मे मनवेने अछि। सहरसा जिलाक लाल सरोज कुमार झा विश्व बैंक के वरिष्ठ निदेशक बनी पूरा देश के नाम रोशन केलैथ अछि। सहरसा जिलाक बनगांव के रहनिहार सेवानिवृत्त बीडीओ मदन मोहन झा आ कुंता देवी के पुत्र सरोज कुमार झा 1990 बैच के आईएएस अधिकारी रही चुकल छथि।

सरोज कुमार झा जी आईआईटी कानपुर सँ सिविल इंजीनियरिंग के डिग्री प्राप्त केने छथि। झा जी आईएएस अधिकारी बनवाक के उपरांत ओडिशा कैडर मे विभिन्न पदों पर रहला। भारत सरकार के गृह मंत्रालय मे आपदा विशेषज्ञ के पद के सेहो सुशोभित केलैथ।

इहो पढ़ब:-

आब एक फरवरी सँ विश्व बैंक के अध्यक्ष जिम यंग किग हुनका कमजोरी, टकराव आ हिंसा के चुनौती सँ निपटवा के लेल अग्रणी नेतृत्व के भूमिका निभवा के काज सौंपलनी अछि। 31 जनवरी धरि सरोज कुमार झा जी विश्व बैंक के क्षेत्रीय निदेशक मध्य एशिया के रूप मे कजाकिस्तान मे पदस्थापित छलैथ।

इहो पढ़ब:-

सरोज कुमार झा जी विश्व बैंक मे अपने करियर के आरम्भ 2005 मे केने छलैथ। ओहि समय ओ वरिष्ठ ढांचागत विशेषज्ञ के रूप मे नियुक्त कैल गेल छलैथ। एही सँ पूर्व ओ संयुक्त राष्ट्र के डेवलपमेंट प्रोग्राम के लेल सीनियर एग्जीक्यूटिव के रूप मे काज क चुकल छथि।

अतेक उपलब्धि भेटवाक उपरांतो सरोज कुमार झा जी बहुते मृदुभाषी और मिलनसार छथि। ओ एही ठामक लोग सँ मैथिली मे संवाद करैत छथि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !