अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
23 जून 2016
सुपौल जिलाक बेटा गायकी मे बॉलीवुड मे केलैथ इंट्री
मिथिला धरोहर : सुपौल जिलाक अंतर्गत छातापुर प्रखंड के महम्मदगंज पंचायत स्थित अति पिछड़ल हसनपुर गामक बेटा आमोद ( Singer Amod Kumar ) गायकी के क्षेत्र मे बॉलीवुड मे इंट्री ल लेल अछि। मुंबई के पंचम स्टूडियो मे पवन यादव निर्मित मैथिली टेलिफिल्म ''सब सँ सुंदर अपन बिहार'' के ऑडियो रिकार्डिग पूरा क लेल गेल अछि।जाहिमे आमोद प्रख्यात गायिका पामेला जैन आ पार्श्व गायक उदित नारायण झा केर संग स्वर लहरी बिखेरने छथि। कुल आठ टा गाना सँ सजल एही एलबम लेल टाइटल गीत उदित नारायण झा जी गेने छथि। जेखनकि शेष गाना मे आमोद आ पामेला जैन केर युगलबंदी अछि। मशहूर भोजपुरी संगीतकार दामोदर राव केर निर्देशन मे आमोद आ पामेला सबटा गीत मैथिली मे गेने छथि। सुमधुर संगीतक संगे सुमधुगर आवाज के मेल कर्णप्रिय त एछे संगे संग इ कामयाबी आमोद केर संघर्षक खिस्सा सेहो कहैत अछि। पद्मभूषण पार्श्व गायक उदित नारायण जी एलबम के टाइटल साग मे बिहारक गौरव गाथा केर बखान केने छथि त पामेला के सुर म सुर मिला क आमोद मिथिलांचलक ग्रामीण परिवेश के बहुते निक चित्रण केने छथि।
इहो जरूर पढ़ब :-
इंटरक परीक्षाक बाद आमोद घर बार छोइड़ मुंबई के लेल रवाना भेलैथ। लगातार पाच साल धैर पढ़ाई सँ दूर भ ओ मुंबई के गलि के खाक छानला मुदा अथक प्रयासक बादो कामयाबी नय भेंटलनि। ओहि बिच आमोद केर भेंट भोजपुरी गीतकार राजेश मिश्रा सँ भेलनि। लगातार पाच साल धैर संघर्षरत रहला के बादो कामयाबी नय भेटला सँ थाइक- हैर आमोद घरक राह पकड़ लेलैथ। फेर आयल 2016 के अप्रैल जेखन राजेश मिश्रा के फोन सँ आमोद के घटी बंजलनी। राजेश मिश्रा केर बजेला पर आमोद मुंबई पहुंचला जतय हुनक भेंट भोजपुरी संगीतकार दामोदार राव सँ भेलनि।दामोदर राव केर माध्यम सँ उदित नारायण जुड़ला और मैथिली टेलिफिल्म ''सब सँ सुंदर अपन बिहार" पर काज शुरू भेल। आमोद एखन सहरसा के एमएलटी कॉलेज मे बीए फाइनल के छात्र छथि।
Tags
Entertainment
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/bhole-karunamay-sarkar-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2016/06/blog-post_21.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Entertainment
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !