...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

14 फ़र॰ 2017

Maithili Film Dulha Chor - मैथिली फिल्म दूल्हा चोर

मिथिला धरोहर : उमा फ़िल्म प्रोडक्शन आ कांति प्रोडक्शन केर बैनर तौर निर्मित दहेज प्रथा पर आधारित नारी के सशक्त बनाबय बला अहि मैथिली फिल्म दूल्हा चोर Maithili Film Dulha Chor निर्माता सुप्रसिद्ध भजन गायक एन के झा 'श्याम जी' आ महेश मिश्रा छथि। कतेको धारावाहिक आ फिल्म के सुप्रसिद्ध निर्देशक विरेन्द्र पासवान अहि फिल्म के निर्देशक छथि। जेखनकि लेखक मनीष चौधरी, संकलन ज्ञानेन्द्र सिंह, छायांकन संजय सिंह, नृत्य संतोष कुमार छथि। जेखनकि पार्श्वगायन पद्मश्री उदित नारायण झा, श्याम झा, पुष्पा लता, आ अलका झा केने छथि।
फिल्मक मुख्य कलाकार छथि कुमार घनश्याम, कल्पना शाह, प्रतिभा पाण्डेय, अरुण गिरी, फूल सिंह, विजय झा, अवधेश सिंह, अरुण सिंह उमाकांत राय आदि। अहाँक बता दी जे उक्त मैथिली फिल्म के सेंसर बोर्ड बिना कुनो काट छटाक यु/ए सर्टिफिकेट प्रदान केलक अछि।  समाज के सन्देश देबय वला आ नारी सशक्तिकरण के नव दिशा प्रदान करय वला अहि मैथिली फिल्म के भोजपुरी मे सेहो प्रदर्शित कैल जायत।


मिथिलाक मोस्ट वेटेड मैथिली फ़िल्म "दूल्हा चोर" के प्रदर्शन Youtube पर क देल गेल अछि। और एखन धरि लाखो लोग देख चुकल छथि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »