शनिवार, 22 अप्रैल 2023

मिथिला पुत्र अभिनेता क्रांति प्रकाश झा के जीवनी | Kranti Prakash Jha Biography

क्रांति प्रकाश झा के जन्म 2 नवंबर 1988 के भागलपुर में भेल छलनी। बेगुसराय के रूदौली गांव के रहनिहार क्रांति प्रकाश झा अपन पिता जकाँ डाक्टर बनय चाहैत छलाह। स्कूली शिक्षाक उपरांत पटना विश्वविद्यालय सं पढ़ाई पूरा केलनि। मेडिकल कॉलेज मे प्रवेश लेल प्रतियोगी परीक्षा सेहो देलनि मुदा पास नहि भऽ सकलाह।  एकर बाद ओ सिविल सेवा मे कैरियर बनेबाक विचार केलनि, मुदा एतहु सफलता नहि भेटलनि।
यूपीएससी परीक्षा मे मात्र 4 अंक सं पास नहि भऽ सकलाह। एहि कारणेँ ओ डिप्रेशन मे चलि गेलाह।  फेर मित्र लोकनिक कहला पर दिल्ली सँ मुंबई चलि गेलाह। क्रांति प्रकाश झा अभिनय के कोनो कोर्स नै केने छथि मुदा कतेको वर्कशॉप्स में भाग लेलनि अछि ।

इहो पढ़ब:-
क्रांति प्रकाश झा मॉडल के रूप में अपन कैरियर शुरू केलनि। मुंबई मे हिनका पहिल काज सर्जिकल इंस्ट्रूमेंट के विज्ञापन के एकटा विज्ञापन में भेटलनि, ओहि विज्ञापन के लेल हिनका 500 रुपया भेटल छलनी। बहुत दिन धरि मॉडलिंग मे मेहनत करैत ओ फिल्म मे सेहो हाथ आजमाबय लगलाह। ‘देसवा’ (भोजपुरी), ‘वन्स अपॉन ए टाइम इन बिहार’ आ ‘मिथिला मखान’ (मैथिली) सन फिल्मक अतिरिक्त ‘एम.एस.  ‘धोनी - द अनटोल्ड स्टोरी’ के अलावा ‘गोलियन की रासलीला - रामलीला’, 'बटला हाउस', 'पृथ्वीराज' एहन फिल्मऽ में सेहो काज केलैथ।

इहो पढ़ब:-
योग गुरु बाबा रामदेव के जीवन पर आधारित टीवी शो 'स्वामी एक संघर्ष' में सेहो काज केलैथ। एमएक्स प्लेयर के सबसं लोकप्रिय वेबसीरीज में सं  एक 'रक्तांचल' में सेहो अभिनय केने छैथ। हिनकर द्वारा अभिनीत 'लाल बत्ती' वेबसीरीज आबय बला अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !