अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 जुल॰ 2023
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Poonam Mishra
/
Shiv Bhajan
/
छोट छोट रोड़ी गरैयाऽ यौ बाबा लिरिक्स - Chhot Chhot Rori Garaiye Lyrics
छोट छोट रोड़ी गरैयाऽ यौ बाबा लिरिक्स - Chhot Chhot Rori Garaiye Lyrics
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
छोट छोट रोड़ी गरै यैऽ
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जाय यै बाबा बुललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जाय यै दानी बुललो ने जाय यैऽ,
तै पर पैर पकै यै, यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ
डर लगैयै देखि जंगल झारी,
उच नीच रस्ता पहार पहारी,
डर लगैयै देखि जंगल झारी,
डर लगैयै, बाबा डर लगैयैऽ,
बाबा डर लगैयै देखि जंगल झारी,
उच नीच रस्ता पहार पहारी,
रहि रहि ठेश लगैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो नै जाय यैऽ
रहि रहि ठेश लगैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो नै जाय यैऽ
पार लगाबू बाबा भक्तक अर्जी,
मानी ने मानी अहिं केर मर्जी,
पार लगाबू बाबा भक्तक अर्जी,
मानी ने मानी अहिं केर मर्जी,
पार लगाबू बाबा भक्तक अर्जी,
मानी ने मानी अहिं केर मर्जी,
दरश लै कोड़ फटैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ ,
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ
चम चम नवल चान चमकै यैऽ ,
हर हर बम कहि मन बमकै यैऽ,
चम चम नवल चान चमकै यैऽ ,
हर हर बम कहि मन बमकै यैऽ,
हर-हर बम-बम, हर-हर बम-बम,
हर-हर बमबम बमबम बमबम
चम चम नवल चान चमकै यैऽ ,
हर हर बम कहि मन बमकै यैऽ,
जैब पहार लगैयैऽ ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
चुभ चुभ कांट गरैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जायै बाबा बुललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जायै दानी बुललो ने जाय यैऽ,
तै पर पैर पकैयै यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ
इहो पढ़ब :-
Tags
Bhakti Geet
Maithili Lokgeet
Maithili Nachari Lokgeet
Maithili Song Lyrics
Poonam Mishra
Shiv Bhajan
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/07/about-mithila-dharohar.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/08/madhushravani-geet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Bhakti Geet,
Maithili Lokgeet,
Maithili Nachari Lokgeet,
Maithili Song Lyrics,
Poonam Mishra,
Shiv Bhajan
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

Bahot sunder geet
जवाब देंहटाएं