सोमवार, 14 अक्तूबर 2024

भैया कोजगरा मे भारक मोजगरा में लिरिक्स - Bhaiya Kojagra Me Bhaarak Mojagra Me

मैथिली कोजगरा लोकगीत लिरिक्स

भैया कोजगरा मे भारक मोजगरा में
बाबू परसै छथि मखान
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान

आनन चानन नीपू कौशिल्या
आनन चानन नीपू कौशिल्या
गजमोती चौका पुराण
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान...

अलस कलश लय पुरहर राखल
अलस कलश लय पुरहर राखल
मानिक लेसू प्रह्लाद
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान...

काँचहि बांस के डलवा बुनाओल
कांचेहि बांस के डाला बुनायल
ताहि सजल दुभि धान
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान...

दुभिअक्षत लै मुनि सब आयल
दुभिअक्षत लै मुनि सब आयल
भैया के देता आशीर्वाद
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान...

चुमबय चलली माता कौशल्या
चुमबय चलली माता कौशल्या
चुमा लिय रघुबर राम
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान...


(2)
भैया कोजगरा मे बाबू जी परसै छथि 
भैर भैर बाटि मखान
झूमि झूमि बौआ के करिओन चुमान
भैया कोजगरा मे बाबू जी परसै छथि 
भैर भैर बाटि मखान
झूमि झूमि लालन के करियौन चुमान

आनन चानन नीपू कौशिल्या
आनन चानन नीपू कौशिल्या
गजमोती चौका पुराण
झूमि झूमि भैया के करियौन चुमान
झूमि झूमि भैया के करियौन चुमान

अलस कलश लय पुरहर राखल
अलस कलश लय पुरहर राखल
मानिक लेसू प्रह्लाद
झूमि झूमि भैया के करियौन चुमान

काँचहि बांस के डलवा बुनाओल
कांचेहि बांस के डाला बुनायल
ताहि सजल दुभि धान
झूमि झूमि भैया के करियौन चुमान
झूमि झूमि भैया के करियौन चुमान

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !