अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
21 मई 2015
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Udasi Geet
/
जौं हम जनितहुँ हे सखि कृष्ण चलि जयता लिरिक्स - मैथिली उदासी गीत
जौं हम जनितहुँ हे सखि कृष्ण चलि जयता लिरिक्स - मैथिली उदासी गीत
जौं हम जनितहुँ हे सखि कृष्ण चलि जयता
सबेरे बिहाने घरबा जयतहुँ हो लाल
जौं हम जनितहुँ कृष्ण रूसि जयता
से पलंगे पर सप्पत खुअबितहुँ हो लाल
एक मोन होइए कृष्ण संगे जइतहुँ
कुलबा मे दगबा लगै छै हो लाल
जौं हम जनितहुँ कृष्ण रूसि जयता
दोसरे प्रीति लगाय रोकितौं हो लाल
घोड़बा चढ़ल आबथि कृष्ण जी पहुनमा
चम चम चमके चदरिया हो लाल
धैरज धरू गोपी से कृष्ण चलि एता
सांझ बिहाने घरबा मे जायब हो लाल
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/kone-baba-pokhari-khunaol-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/ete-din-bhamar-hamar-chhal-sakhi-he.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !