गुरुवार, 27 मई 2021

मरबा पर बैसल छथि बरुआ लिरिक्स | मैथिली उपनयन भिखक गीत Marba par baisal chhathi barua lyrics

Marba par baisal chhathi barua lyrics

मरबा पर बैसल छथि बरुआ भिखारी बैन कऽ
बरुआ भिखारी बैन क, बरुआ भिखारी बैन कऽ
मरबा पर बैसल...

बरुआ के दादी भीख लेने ठार छथि
भीखो नै लै छथि बरुआ ,भिखारी बैन कऽ
मरबा पर बैसल छथि...

बरुआ के नानी भीख लेने ठार छथि
सोना के चेन मंगै छथि बरुआ भिखारी बैन कऽ
मरबा पर बैसल...

बरुआ के अम्मा भीख लेने ठार छथि
भीख में मधुर मंगै छथि बरुआ भिखारी बैन कऽ
मरबा पर बैसल...

बरुआ के फुआ भीख लेने ठार छथि
भीखो संग आशीष मंगै छथि बरुआ ,भिखारी बैन कऽ
मरबा पर बैसल......

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !