अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
25 मई 2021
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Upnayan Geet Lyrics
/
आमा हे तोहें फला आमा | मैथिली उपनयन लोकगीत Amma he tohe phala amma lyrics
आमा हे तोहें फला आमा | मैथिली उपनयन लोकगीत Amma he tohe phala amma lyrics
आमा हे तोहें फला आमा,
ओ जे जनकपुर मे नोत दीअ हे
जनकपुर सँ एती सीता दाइ
ओ जे कटती जनउआ सूत हे
बाबा हे तोहे फलां बाबा हे,
ओ जे अयोध्या मे नोत दीअ हे
अयोध्या सँ एता श्रीराम
ओ जे पढ़यता जनउआ मंत्र हे
जीवन जन्म सफल भेल,
अंगना मांड़ब भेल हे
घूरि फीरि अबथिन फल्लां बाबा,
ओ जे मड़बा निरेखथि हे
धन्य जीवन थिक फल्लां बाबी,
ओ जे जनि कुल पुत्र भेल हे
ब्राह्मण एता आजु फलां बरुआ,
आंगन सोहाओन लागय हे
जन्म सफल भेल,
ओ जे फल्लां बरुआ ब्राह्मण हएता हे
इहो पढ़ब :-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/marba-par-baisal-chhathi-barua-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/05/somnath-mahadev-saurath-madhubani.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !