...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

1 जन॰ 2014

पाँच रुपैया समधि करजा काढ़लनि लिरिक्स - डहकन गीत

पाँच रुपैया समधि करजा काढ़लनि
टिकुली लयलनि गढ़ाय हो लाल
टिकुली के सटलनि समधिन पटबर फारलनि
चलि भेली गंगा स्नान हो लाल
नहाय सोनाय समधिन घुरियो ने तकलनि
टिकुली खसल मझधार हो लाल
कानय लगली खीजय लगली समधिन छिनरो
केये देतै टिकुली भेटाय हो लाल
घोड़बा चढ़ल अबथिन फन्ना रसिया
हम देब टिकुली भेटाय हो लाल
जओं तोहे आहे समधी टिकुली भेटाय देब
गंगाजी के पाठी चढ़ायब हो लाल
जीवनाथ भल डहकन गाओल
बरियतियाक बहिन छकल छिनारि

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »