अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
Vidai Geet लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Vidai Geet लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
20 जून 2023
Maithili Lokgeet
परम पवित्र भूमि जनक नगरिया से
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
परम पवित्र भूमि जनक नगरिया से
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
केरवा कदम गाछ पीपर कनक पात
सुंदर सब बन छैक रे कहरिया
केरवा कदम गाछ पीपर कनक पात
सुंदर सब बन छैक रे कहरिया
परम पवित्र भूमि जनक नगरिया से
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
अम्मा मोरा रोबैत होईहे बसिया के बेरिया से
पिता जी रोबैत होजा काल रे कहरिया
अम्मा मोरा रोबैत होईहे बसिया के बेरिया से
पिता जी रोबैत होजा काल रे कहरिया
परम पवित्र भूमि जनक नगरिया से
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
आजी मोरा रोबैत होईहे भन्सा के देरिया से
सखी सब रोबैत होईहे दिन दुपहरिया
आजी मोरा रोबैत होईहे भन्सा के देरिया से
सखी सब रोबैत होईहे दिन दुपहरिया
परम पवित्र भूमि जनक नगरिया से
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
दाई माई रोबैत होईहे अम्मा के समझाबैत
दाई माई रोबैत होईहे अम्मा के समझाबैत
हमहुँ बैसब हिया हारी रे कहरिया
हमहुँ बैसब हिया हारी रे कहरिया
परम पवित्र भूमि जनक नगरिया से
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
हमरो के कहां लेने जाइछे रे कहरिया
इहो पढ़ब :-
22 अप्रैल 2023
Maithili Lokgeet
बड़ रे जतन से, हम सिया धिया पोसलौं,
सिया धियाँ पोसलौं,
सेहो धिया राम लेने जाय,
आगू आगू रामचंद्र, पाछू पाछू डोलियाँ,
पाछुं पाछू डोलिया,
तई पाछू लछुमन रे भाई,
एक कोस गेलौं रामा दुई कोस गेलौं,
दुई कोस गेलौं,
तेसर कोस लगलई पियास,
हाथ जोडूं पैयाँ पडूँ, अगिला शहरियाँ से,
बाबा दियौ पनियाँ पियाय,
कौन रंग डोलिया कौन रंग ओहरियाँ,
कौन रंग ओहरिया,
कौन रंग बत्तीसो कहार,
लाली रंग डोलिया सबुद रंग ओहरिया,
सबुद रंग ओहरिया,
लागी गेलै बत्तीसो कहार,
लागी गेले बत्तीसो कहार,

