बुधवार, 2 दिसंबर 2015

आबि रहल अछि मैथिली टीवी सीरियल 'मेड इन मिथिला'

मिथिला धरोहर : सोशल मीडियाक संगे बहुते तरह मैथिली भाषाक वेबसाइट आब इंटरनेट पर खूब देखल, पढ़ल आ पसन्द कैल जा रहल अछि। दूरदर्शन तथा ऑल इंडिया रेडियो आ आन राष्ट्रीय प्रसारण मे सेहो धारावाहिक के संगे-संग गीत-संगीत, दोसर तरह मनोरंजनक कार्यक्रम के प्राथमिकताक संग प्रसारण कैल जा रहल अछि।


एखन डीडी बिहार पर चारीगो धारावाहिक के प्रसारण भ रहल अछि। डीडी बिहार पर एहि क्रम के आगु बढ़ाबैत नरेश मण्डल अपन आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउसक अंतर्गत एकटा मैथिली भाषा के साप्ताहिक प्रोग्राम ल के आबि रहल छथि। "मेड इन मिथिला" नामक एहि कार्यक्रम मे मिथिलाक प्रसिद्ध इतिहासिक धरोहरक पौराणिकता पर प्रकाश देल जायत। एहि कार्यक्रम'क संकल्पना (स्क्रिप्ट) आ संचालक छथि मैथिलीक प्रसिद्ध उद्घोषक किसलय कृष्ण केर संगे सह-संचालिका अभिनेत्री जाह्नबी झा छथि। एसोसिएट निर्देशक - मंजू दुबे, प्रोडक्शनक प्रमुख छथि - प्रभात रॉय, प्रोडक्शन - मोहन झा छथि। कुल 52 एपिसोडक एहि कार्यक्रम के जनवरी 2016 सं सप्ताह मे एक दिन प्रसारण कैल जायत। मिथिलाक पवन धरती'क वर्णन करय वला एहि महत्वपूर्ण प्रोग्राम सं मिथिला मे पर्यटक पहुचेबा मे अवश्य बढ़ावा भेटत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !