गुरुवार, 18 अक्तूबर 2018

मिथिलाक सबसँ ऊंच दुर्गा मंदिर के इतिहास - Durga Mandir Basti, Jaynagar

Bihar Highest Durga Temple in Jaynagar
मिथिलाक मधुबनी जिलाक जयनगर मे भारत-नेपाल सीमा सँ महज तीन किमी के दूरी पर माँ दुर्ग के इ भव्य, सुंदर मंदिर स्थापित अछि। मंदिर के ऊंचाई 118 फिट अछि। बिहार मे सबसँ ऊंच दुर्गा मंदिर के नाम सँ इ मंदिर जानल जाइत अछि। शक्तिपीठ सँ विख्यात माँ दुर्गे केर इ मंदिर श्रद्धालु लेल आस्थाक केंद्र अछि। जयनगर शहर सँ सटल बस्ती गांव स्थित पौराणिक आ ऐतिहासिक दुर्गा मंदिर के मनमोहक दृश्य, श्रद्धालु के अपना दिस आकर्षित करैत रहल अछि।

इहो पढ़ब :-
नवरात्र मे सांझ मे होय बला महाआरती श्रद्धालु के लेल आकर्षक के केंद्र बनल अछि। दूर दराज सँ श्रद्धालु एतय आबि के महाआरती मे शामिल होइत छथि। ओना त अहि मंदिर मे प्रतिदिन भोर - सांझ विधि-विधानक साथ पूजा-अर्चना आ आरती कैल जाइत अछि, मुदा नवरात्र के महाआरती श्रद्धालु लेल विशेष होइत अछि। सबक मनोकामना पूर्ण करय वाली माँ दुर्गे के मंदिर मे बारह मास शादी ब्याह, मुंडन, उपनायन आ धार्मिक अनुष्ठान होइत रहैत अछि। साल मे दु बेरा आसिन आ चैती दुर्गा पूजा कैल जाइत छनि। 

इहो पढ़ब :-
3 जून 2004 के पूज्य पाद्य गोबर्धन पीठाधीश्वर स्वामी निश्चलानन्द सरस्वती महाराज मंदिर के गर्व गृह मे माँ दुर्गा, माँ सरस्वती, माँ काली, माँ लक्ष्मी, गणेश सहित अन्य देवी - देवता केर प्रतिमा के प्राण प्रतिष्ठा वैदिक मंत्रोचारण के संग विधि विधानक साथ केने छलथि।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !