अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
19 दिस॰ 2019
टीवी और भोजपुरी फिल्म एक्ट्रेस निधि झा के परिचय
समस्तीपुर जिला के विघापतिनगर प्रखंड अंतर्गत मऊ गांव एहन सुदूरवर्ती ग्राम्यांचल इलाका स्थित ननिहाल मे जन्मली भोजपुरी फिल्मके नायिका निधि झा ( Nidhi Jha Bhojpuri Film Actres From Samastipur ) ) अपन प्रतिभा आ ग्लैमरस के बल पर मायानगरी मुबंई मे सपना के उड़ान भरी रहल छथि। पिता रंजीत झा आ माता बेबी झा केर पुत्री निधि झा पाॅलीवुड, बॉलीवुड आ धारावाहिक के दुनिया मे एकटा प्रतिष्ठापित अभिनेत्री केर तौर पर दर्शक के खूब मनोरंजन क रहल छथि।
बिहार-यूपी मे 'लूलिया' के नाम सं मशहूर निधि झा अपन प्रतिभा सं कतेको दिल पर राज करैत छथि। अभिनेता पवन सिंह संग फिल्म गदर, सत्या मे अभिनय क चुकल निधि के एकटा गाना 'लूलिया मांगेले...' सं फैंस के दिल पर अपन जलबा कायम क चुकल छथि। अहि गाना के एखन धरि 92 मिलियन सं ज्यादा लोग देखी चुकल अछि।
इहो पढ़ब :-
निधि के हाले मे विश्व भोजपुरी सम्मेलन मे सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री के सम्मान सं सम्मानित कैल गेलनि। निधि पिछला साल भोजपुरी सुपरस्टार पवन सिंह संग ब्लाॅक बस्टर फिल्म 'गदर' मे नजर आयल छली। अहि फिल्म लेल हिनका बेस्ट डेब्यू अवार्ड सेहो भेटल छनि। संगे मलेशिया मे आयोजित अंतरराष्ट्रीय भोजपुरी फिल्म फेयर अवॉर्ड सं सेहो सम्मानित भ चुकल छथि।
मध्य विद्यालय मऊ सं प्राथमिक शिक्षा ग्रहण क चुकली निधी चर्चित धारावाहिक बालिका वधू, क्राइम पेट्रोल, अदालत, सपने सुहाने लड़कपन के, संकटमोचन महाबली हनुमान, इंकाउंटर, बेइंतहा, सावधान इंडिया, आहट, गुलाम, नाॅक आउट, कुलदीपक सहित पवन सिंह अभिनीत भोजपुरी फिल्म 'गदर, जिद्दी, ट्रक ड्राइवर 2, मोहब्बत जिंदाबाद, धड़कन, कसम पैदा करने वाले की, सत्या, इंडिया वर्सेज पाकिस्तान, स्वर्ग, बालीवुड फिल्म आई एम पींग्ला आदि मे लीड रोल निभा चुकल छथि।
इहो पढ़ब :-
किछ और भोजपुरी फिल्म के नाम जाहि मे निधि झा अभिनय क चुकल छथि - 'मैं नागिन तू सपेरा, 'मिशन पाकिस्तान, 'गैंगस्टर दुल्हनिया, 'अग्निसाक्षी, 'मंदिर वहीं बनायेंगे, 'यारा तेरी यारी, 'या अली बजरंगबली, आदि।
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/12/maithili-singer-juli-jha-from-darbhanga.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/maiya-aabi-rahal-chhaith-song-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithilak Artist,
Mithilani
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)



कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !