Dubhiya Bhojan Karu Sama He Chakeba
दुभिया भोजन करू सामा हे चकेबा
लागि गेल पान केर दोकान
गे माइ सेहो पान खयलनि भइया से फल्लां भइया
रंगि गेल बत्तीसो मुख दाँत
गे माइ दुभिया भोजन करू सामा हे चकेबा
लागि गेल सिनूरक दोकान
गे माइ सेहो सिनूर पहिरथु भउजो से ऐहब भउजो
जुगे - जुगे बढ़नु अहिबात
गे माइ दुभिया भोजन करू सामा हे चकेबा
लागि गेल टिकुली केर दोकान
गे माइ सेहो टिकुली पहिरथु बहिनो से फलां बहिनो
झलकैत जाथु ससुरारि
गे माइ झलकैत जाथु ससुरारि
Full song lyrics dhubhiya bhaojan karu
जवाब देंहटाएंगीतक पूरा लीरिक्स अछि
हटाएं