Chitchorwa aaju andolan lyrics in hindi
मैथिली ओठंगर काल गीत
चितचोरवा आजु बनहौलनि हे
चितचोरवा आजु बनहौलनि हे,
सब सान गुमान गमौलनि हे
सब सान गुमान गमौलनि हे
चितचोरवा आजु बनहौलनि हे...
एहि चितचोरवा के माथ मनी मोरिया हे
एहि चितचोरवा के माथ मनी मोरिया हे
चोरबा छवि छहरौलनि हे
चोरबा छवि छहरौलनि हे
चितचोरवा आजु बनहौलनि हे...
कथि केर उखड़ी कथि के मुसरबा हे
कथि केर उखड़ी कथि के मुसरबा हे
कै चोट चाउर छोरौलनी हे
कै चोट चाउर छोरौलनी हे
चितचोरवा आजु बनहौलनि हे...
बेलक उखड़ी, बगुरक मुसरबा हे
आठ चोट चाउर छोरौलनी हे
चितचोरवा आजु बनहौलनि हे...
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !