...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

16 अक्टू॰ 2014

कओने नगर संओ आयल तपसिया लिरिक्स - समदाउन लोकगीत

कओने नगर संओ आयल तपसिया, 
कौने नगर नेने जाय
दच्छिन नगर संओ अयलै तपसिया, 
पच्छिम मुलुक नेने जाय
आमक डारि पर बाजय केाइलिया, 
धीया के जन्म जुनि देब
धीया के जन्म जौं देब विधाता, 
लिखि देब सहोदर भाय
कोखिया बिहुन जुनि देब विधाता, 
पुरुष मुरुख जुनि देब
मुरुख-पुरुख जों देब विधाता, 
मरब जहर बिख खाय

1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »