अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
21 फ़र॰ 2019
Home
/
Batgawani Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
कि कहू पहुन परदेश गेल सजनी गे - बटगबनी गीत
कि कहू पहुन परदेश गेल सजनी गे - बटगबनी गीत
कि कहू पहुन परदेश गेल सजनी गे
आहे सखि किछु ने सोहाय सजनी गे
फूल केश नीर बहु सजनी गे
काजर गेल दहाय सजनी गे
कंगन बसन भार भेल सजनी गे
यौवन भेल उतफाल सजनी गे
आंगन मोरा लेखे बिजुबन सजनी गे
घर भेल दिवस अन्हार सजनी गे
जौं प्रीतम नहि आओत सजनी गे
मरब जहर-बिख खाय सजनी गे
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/02/history-of-purnea.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/02/laba-chhitab-kaal-maithili-geet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !