अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
10 नव॰ 2025
Home
/
Gauri Puja Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
नदिया किनारे गौरी ठार रे, फूल दऽ दे मलिनिया लिरिक्स - Nadiya Kinare Gauri Thaar Re, Phool Da De Maliniya"
नदिया किनारे गौरी ठार रे, फूल दऽ दे मलिनिया लिरिक्स - Nadiya Kinare Gauri Thaar Re, Phool Da De Maliniya"
पारम्परिक मैथिलि गौरी पूजा गीत
नदिया किनारे गौरी ठार रे, फूल दऽ दे मलिनिया
गिरिजा पुजन हम जाएब रे, फूल दऽ दे मलिनिया
कथि मे लोडब बेली चमेली,
कथि मे लोडब बेली चमेली,
कथि मे लोडब गुलाब गे, फूल दऽ दे मलिनिया
नदिया किनारे गौरी ठार रे...
साजी मे लोडब बेली चमेली,
साजी मे लोडब बेली चमेली,
खोइँचा मे लोडब गुलाब गे, फूल दऽ दे मलिनिया
नदिया किनारे गौरी ठार रे...
किनका चढायब बेली चमेली,
किनका चढायब बेली चमेली,
किनका चढायब गुलाब गे, फूल दऽ दे मलिनिया
नदिया किनारे गौरी ठार रे...
लक्ष्मी चढायब बेली चमेली,
लक्ष्मी चढायब बेली चमेली,
गौरी चढायब गुलाब गे, फूल दऽ दे मलिनिया
नदिया किनारे गौरी ठार रे...
किनका सँ मागँब अनधन सम्पैत,
किनका सँ मागँब अनधन सम्पैत,
किनका सँ मागँब सोहाग गे, फूल दऽ दे मलिनिया
नदिया किनारे गौरी ठार रे...
लक्ष्मी सँ मागँब अन्धन सम्पैत,
लक्ष्मी सँ मागँब अन्धन सम्पैत,
गौरी सँ मागँब सोहग गे, फूल दऽ दे मलिनिया
नदिया किनारे गौरी ठार रे...।
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/02/maagh-maas-sir-panchmi-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/08/tohre-bharose-braham-baba-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !