अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
10 नव॰ 2021
Home
/
Gauri Puja Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
देखैत गेन्दा बड़ लाल गे मलीनियां लिरिक्स - गौरी पूजा गीत
देखैत गेन्दा बड़ लाल गे मलीनियां लिरिक्स - गौरी पूजा गीत
Dekhait Genda Bar Laal Ge Maliniya Lyrics
देखैत गेन्दा बड़ लाल गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
किनकर बाड़ी बेली चमेली - 2
किनकर बाड़ी गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शिवजी के बड़ी बेली चमेली - 2
गौरी केर बाड़ी गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
कथीए लोढ़ब बेली चमेली - 2
कथीए लोढ़ब गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
आँचरमे लोढ़ब बेली चमेली - 2
फांगड़मे लोढ़ब गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
किनका चढ़ायब बेली चमेली - 2
किनका चढ़ायब गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शिवकेँ चढ़ायब बेली चमेली - 2
गौरी चढ़एबनि गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
किनकासँ मांगब अनधन लछमी - 2
किनकासँ माँगब सोहाग के मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शिवजीसँ माँगब अनधन लछमी - 2
गौरीसँ माँगब सोहाग गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
देखैत गेन्दा बड़ लाल के मलिनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/aaju-janakpur-me-madwa-bara-suhavan.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/11/lok-devta-bhuiyan-baba.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !