मैया सजन नयन सं ताकु
एक बेर हमरा पर,
आस करब हम ककरा पर ना,
मैया सजन नयन सं ताकु
एक बेर हमरा पर,
आस करब हम ककरा पर ना...
मन मे मंदिर एक बनायब,
ओहि में मैया के बैसायब
मन मे मंदिर एक बनायब,
ओहि में मैया के बैसायब
मैया गिद्ध बैसल अछि मन मंदिर के खपड़ा पर,
आस करब हम ककरा पर ना...
हमरा घरो नै घरारी,
देलौं खेती नै पथारी
हमरा घरो नै घरारी,
देलौं खेती नै पथारी
मैया बाल बच्चा सब भूखे मरै यै असरा पर,
आस करब हम ककरा पर ना...
नैहर माई बाप के तेजलौं,
सासुर भाई भैयारी तेजलौं
नैहर माई बाप के तेजलौं,
सासुर भाई भैयारी तेजलौं
मैया अहाँ के शरण मे आयब अहाँ के असरा पर,
आस करब हम ककरा पर ना,
मैया सजन नयन सं ताकु
एक बेर हमरा पर,
आस करब हम ककरा पर ना...।
Baba Kaun Kalam se likh Lo likha hua gana
जवाब देंहटाएं