अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
Madhushravani Geet लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Madhushravani Geet लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
4 अग॰ 2026
Madhushravani Geet
• पारम्परिक मधुश्रावणी पाबनिक गीत
पावनि पूजू आजु सोहागिन प्राण नाथ के संग मे ।
कारी कम्बल झारि गंगाजल काजर सिन्दूर हाथ मे ।
चानन घसू मेहदी पीसू लिखू मैना पात मे ।
पाबनि साजी भरि-भरि आनल जाही-जूही पात मे ।
कतेक सुन्दर साज सजल अछि लिखल मैना पात मे ।
Madhushravani Geet
मधुश्रावणी पाबनिक गीत
पाबनि पाबनि रटैत रटैत बीतल रे उमेरीया
कोनटा धेने ठाढ़ छलीयै कखन औथिन्ह भड़ीया
पाबनि पाबनि रटैत रटैत बीतल रे उमेरीया
सासु पठेलखिन्ह केरा दही भड़ीया
ससुर पठेलखिन्ह लाल सड़ीया ।।
पाबनि पाबनि रटैत रटैत बीतल रे उमेरीया
गोतनी पठेलखिन्ह केचुआ के भड़ीया
ननदी पठेलखिन्ह फुलक डलीया
पाबनि पाबनि रटैत रटैत बीतल रे उमेरीया
3 अग॰ 2026
Bishari Geet
पाँचों बहिनिया विषहर, पाँचों कुमारि
राम पाँचों कुमारि
राम छोटकी बहिनिया विषहर शिव के दुलारी
राम छोटकी बहिनिया विषहर शिव के दुलारी
पाँचों बहिनिया के नामि-नामि केश
राम नामि-नामि केश,
राम मुठीये के डार छनि अलप बएश
राम मुठीये के डार छनि अलप बएश
आहे आहे विषहरी ई की कैल तोर
राम ई की कैल तोर,
राम पलँगा सूतल बालम डसलह मोर
राम पलँगा सूतल बालम डसलह मोर
जाहि दिन छलहुँ हम शिव केर कोर
राम शिव केर कोर
राम तहिया गौरी बजलीह सौतीन मोर
राम तहिया गौरी बजलीह सौतीन मोर
आब हम ऐलहुँ सरोबर बाट
राम सरोबर बाट,
राम आबे गौरी माँगय छथि सीर के सिंदूर
राम आबे गौरी माँगय छथि सीर के सिंदूर
लाऊ गायब आहे गौरी लावा दूध फूल
राम लावा दूध फूल,
राम तखने बकस देब सीर के सिंदूर
राम तखने बकस देब सीर के सिंदूर
----------------------------------------
(2)
पाँचों बहिनिया विषहर, पाँचों कुमारि
राम पाँचों सिर पर कलश विराजे हाथे धूप दान
कहमा के आसन-बासन, कहाँ निज धाम,
राम किनकर बेटी थिकौँ, किये छी नाम
निम तर आसन - बासन, गंगा निज धाम,
राम गौरी दाय के बेटी थिकौँह, जया
विषहर नाम
कोने फूल चढ़ायब विषहर, कि देब नबैद,
राम
कि हम देब विषहर पूजा अहाँ लेब
मैना के पात पर, हे सुहागिन हमरो बैसाब
राम फूल अच्छत, दूध लावा चढ़ाइब
धन्य ही विद्यापति सुनिये महेश, आहे
आबैत हेथीन पाँचो बहिनि हरति कलेश
इहो पढ़ब:-
5 जुल॰ 2026
Bishari Geet
• पारंपरिक मैथिली बिषहरि गीत
कहाँ तोहर आसन बासन कहाँ निज धाम,
राम कहाँ निज धाम,
राम किनकर तु पाँचो बेटी, किये तोहर नाम,
राम किनकर तु पाँचो बेटी, किये तोहर नाम,
गंगा हमर आसन बासन गहबर निज धाम,
आहे गहबर निज धाम,
राम गौरी के पाँचो बेटी, बिषहरि नाम,
राम गौरी के पाँचो बेटी, बिषहरि नाम…..
नाव दे रे मलहा भैया रुपे करुआर,
राम रुपे करुआर
राम बिषहरि जेती मृतु भुवन हेतन अतिकार
राम बिषहरि जेती मृतु भुवन हेतन अतिकार
दीप दे रे कुम्हरा भैया पाट सूत बाती
राम पाठ सूत बाती
राम तेल दे रे तेलिया भैया लेसु प्रहलाद
राम तेल दे रे तेलिया भैया लेसु प्रहलाद
धन्य हि विद्यापति सुनु बिषहरि माई
राम सुनु बिषहरि माई
राम हमरो पर दानी रहबै हेबय सहाय
राम हमरो पर दानी रहबै हेबय सहाय
18 जून 2026
Bishari Geet
पारम्परिक मैथिली बिसहरि गीत
खेलैत धुपैत बिसहरि गेली अलसाय ।
सिरमा बैसल भगता बेनिया डोलाय ।
कहाँ तोहर आसन-बासन कहाँ निज धाम ।
कोने दाइक बेटी थिकौ कि थिक नाम ।
मैना हमर आसन-बासन वैह थिक नाम ।
गौरी दाइक बेटी थिकौं बिसहरि नाम ।
जोड़ी लागल छागर देब रहू एहि ठाम ।
सदा दहिन रहू होइयो ने बाम ।
8 जुल॰ 2023
Geet Sangrah
पारम्परिक मैथिली मधुश्रावणी पाबनिक लोकगीत संग्रह
इहो पढ़ब :-
10 अप्रैल 2020
Bishari Geet
Bishara Geet Lyrics Sangrah Maithili
एहो पढ़ब:-
26 सित॰ 2019
Madhushravani Geet
आँखि मुनबाकालक गीत
नहु-नुह धर सखि बाती
धरकय कोमल छाती
नहु-नहु पान पसारह
नहु-नहु दुहु दृग झाँपह
मधुर-मधुर उठ दाहे
मधुर-मधुर अवगाहे
कुमर करह विधि आजे
मधुश्रावणी भल काजे
● आजु जनकपुर मंगल सखि लिरिक्स
आजु जनकपुर मंगल सखि सभ गाबथि हे
शुभ दिन पाबनि आजु हेतिन सिया दाइक हे
करतल धय पान जुगुति संओ मूनब
सीता दाइ केर नयना श्री राम हे
भालरि जकाँ सीता दाइ थर-थर कांपथि
टेमी देल हरखित श्री राम हे
श्रीखण्ड चाननक लेप कय देल
धन्य छथि विधिकरी सुजान हे
इहो पढ़ब:-
20 जून 2019
Madhushravani Geet
सखि हे बिसहरि एली अङनमा
हम सभ पुजब नगिनिञा ना
की देबनि बैसक बिसहरि माँ के
कथी देबनि ओठङनमा
हम सभ पुजब नगिनिञा ना।
कारी कम्मल बिसहरि के बैसक देबनि
बाँसक पात ओढ़नमा
हम सभ पुजब नगिनिञा ना।
की भोजन देबनि बिसहरि माँ के
कथी देबनि पियनमा
हम सभ पुजब नगिनिञा ना।
धानक लाबा बिसहरि के भोजन देबनि
गायक दूध पियनमा
हम सभ पुजब नगिनिञा ना।
Madhushravani Geet
पहिरि ओढ़िए कनियां सुहबे पाबनि पूजऽ बैसली हे
हे शुभ पावनि दिन मे
लच-लच लचकै हुनकर डाँड़
हे शुभ पाबनि दिन मे
घोड़बा चढ़ल अबथिन दुलहा रसिलबा
हे शुभ पाबनि दिन मे
किये सुहबे लचके तोहर डाँड़
हे शुभ पाबनि दिन मे
आजु सुदिन दिन पाबनि छै
हे शुभ पाबनि दिन मे
ससुरा सौं औतै भरिया भार
हे शुभ पाबनि दिन मे
भार जे औतह धनि घर कय धरिहऽ
हे शुभ पाबनि दिन मे
भरिया के करिहऽ बिदाइ
हे शुभ पाबनि दिन मे
22 मई 2019
Madhushravani Geet
साओन के महीना पाबनि केर दिन
मनसँ पाबनि पूजू ए कनिञा
शुभ रहत सभ दिन।
केहि रे पठेलखिन केर दही भरिया
के मोरा देलखिन साया-साड़ी-चूड़िया
ससुर मोरा पठेलखिन केरा-दही भरिया
सासु मोरा देलखिन साया-साड़ी-चूड़िया
मनसँ पाबनि पूजू ए कनिञा
शुभ रहत सभ दिन।
17 मई 2019
Madhushravani Geet
Baba yau pabni mor lag aayal lyrics
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल
प्रभुजी नहिए एलखिन ना
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल
प्रभुजी नहिए एलखिन ना
बाबा यौ साओन भादव के नदिया उमड़ल
प्रभुजी कोना कऽ औथिन ना
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल
प्रभुजी नहिए एलखिन ना..
बेटी हे भेजबइ सोना के घोड़बा
कि प्रभुजी चढ़िकऽ औथिन ना
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल
प्रभुजी नहिए एलखिन ना..
25 अप्रैल 2019
Madhushravani Geet
जेठ मास अमावस सजनी गे
सभ धनी मंगल गाउ
भूषण वसन जतन कऽ सजनी गे
रचि-रचि अंग लगाउ
काजर-रेख सिनुर भल सजनी गे
पहिरथु सुबुधि सेयानि
हरखित चलल अछयबट सजनी गे
गाबति मंगल गान
घर-घर नारि हकारल सजनी गे
आदरसँ संग गेलि
आइ छिऐ बरिसति सजनी गे
तेँ आकुल सभ भेलि
घुमि-घुमि अछिंजल ढ़ारल सजनी गे
बांटल अछत सुपारि
फतुरी आसिस देल सजनी गे
जीबथु दुलहा-दुलारि
18 अप्रैल 2019
Madhushravani Geet
आयल सखि हे परम सोहाओन
साओन के महिनमा
मधुश्रावणी पाबनि आयल
सीता राम मिलनमा
भरि-भरि डाला फूल लोढ़ब
माला गाँथब प्रेम सँ
माँ बिसहराकेँ आबि चढ़यबनि
पूजा करब अड़हल सँ
लाबा दूध देबनि छिड़ियाइ
दीप जरय अहिबात केर
जुग-जुग सोहागिन रहथु पबनैतिन
जीबथु दुलहा ललनमा
आयल सखि हे सर्वसोहाओन
साओन के महिनमा
22 फ़र॰ 2019
Madhushravani Geet
Lalahi Van Ham Jayab Phul Lodhab He
लालहि वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे सिन्दुर भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
पीयर वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे सोनहि भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
हरियर वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे बेलपत्र भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
कारी वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे काजर भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
उज्जर वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे शांखहि भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
पाँचो वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे पाँचो भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
30 जन॰ 2019
Madhushravani Geet
Aaju E Pabani Balamu Sang Pujab Lyrics
आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब
नहि एला बालम हमार हे
सासु निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि भार पठाय हे..
दिआदिनि निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि गौर बनाय हे..
ननदो निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि साजी सजाय हे..
5 जन॰ 2019
Madhushravani Geet
आयल हे सखि सर्व सोहाओन
साओन केर महिनमा
ठाँओं कयलहुँ अरिपन देलहुँ
लीखल नाग-नगिनियाँ
फूल लोढ़लहुँ पाती अनलहुँ
पूजू नाग-नगिनियाँ
लाबा भुजलहुँ दूधो अनलहुँ
खाथु नाग-नगिनियाँ
आयल हे अलि सर्वसोहाओन
साओन केर महिनमा
21 जुल॰ 2016
Batgawani Geet
अमुआं मजरि महु तूबल सजनी गे
सुन मोर सजनी, कुसुम लेल पतझार
अही बाटे औता महादेव सजनी गे
सुन मोर सजनी, बहि गेल चाननक धार
चानन छिलकि पाग पड़ल सजनी गे
सुन मोर सजनी जुगे-जुग जीवथु फल्लांक पुत्र
सुन मोर सजनी, जुगे जुग जीबथु महादेव
अही बाटे औती गौरीदाइ सजनी गे
सुन मोर सजनी, बहि गेल सिनूरक धार
सिनूर छिलकि सींथ पड़ल सजनी गे
सुन मोर सजनी, जुगे जुग बढ़नु अहिबात
अमुआं मजरि महु तूबल सजनी गे
सुन मोर सजनी, कुसुम लेल पतझार

